» » आन्दोलनक उपलब्धी बुढिया फुईस

-जिवछ उदासी


वाट चलैत लोक वाजैइए 
६ महिना वन्द रहलै 
दर्जनौ मधेशी वेटा खुन वहलकै 
तश्कर तरिगेलै
सर्व सधारण उजरि गैलै
हात लागि जिरो

तैइयौ कहैछि हम हिरो
मोर्चामे खटपट भेलै
अपने अपनेमे गेलै रुईस
उपलब्धी भेलै वुढिया फुईस

दिल्ली देखा देलकै अपन काला
ओ कहियो नहि चाहलकै मधेशके भला
आन्दोलन जै पर निर्भर भेलै
आत्मनिर्भर हुअ नहि सक्लै

मधेशी वलिदानीमे ढारलक पाईन
मोर्चाके नेता सभके नहि छै आईन

आन्दोलन उरिया लगलै
बुझाइए मधेशी नेता सव
सत्तामे जाईके लेल त सुरियागेलै

लोक वनज लगलै नेता सभ गेलौ हुईस
ताय आन्दोलनक उपलब्धी भेल वसढिया फुईस

About saharatimes patrika

«
Next
Newer Post
»
Previous
Older Post

No comments:

Leave a Reply

..